Poemकविता

एखनहुँ गामे

Even Now, the Village

by Dr. Bhimnath Jhaडॉ. भीमनाथ झा

A poem in two stanzas that sets the village against the city: the village stays steady because there is still ‘water’ in its eyes, while the city, for all its resources, is restless and marshy.दू बन्धक एक कविता, जे गाम आ नगरकेँ आमने-सामने राखैत अछि: गाम अचल अछि, कारण ओकर आँखिमे एखनहुँ पानि बचल छै; नगर साधन पाबि चंचल अछि, मुदा दलदल अछि।

  • Freeनिःशुल्क
  • 1 page1 पृष्ठ
  • PDF, 34 KBपीडीएफ, 34 KB

Share on WhatsAppWhatsApp पर साझा करू

About this pieceएहि रचनाक विषयमे

The poem plays on the Maithili word pani, which means both water and honour or feeling. Despite envy, rivalry and quarrels, the village still holds affection and social harmony, and its old lustre is unchanged. The city is all motion and splash; the village has the strength of discipline, and where the city has only marsh, the village has a pond full of lotuses.कविता मैथिली शब्द ‘पानि’क दुहरा अर्थ—जल आ आब-लाज—पर खेलैत अछि। ईर्ष्या-द्वेष, फाँट-डाँटक बादो गाममे अनुराग आ सामाजिक सद्भाव बचल अछि, आ ओकर पुरान चमक अविचल अछि। नगर सब किछु हलचल आ छलछल अछि; गाम साधनाक बल निरमल अछि, आ जतय नगरमे बस दलदल अछि, ओतय गाममे कमलसँ भरल सरोवर अछि।

Read it hereएतहि पढ़ू

जेँ कि आँखिमे पानि बचल छै
तयँ ने एखनो गाम अचल छै
कतबो ईर्ष्या-द्वेष रचल छै
फाँट, डाँट-फटकार मचल छै
तैयो से अनुराग पचल छै
सामाजिक सद्भाव गचल छै
जे मणि युगसँ जड़ल खचल छै
तकर चमक एखनो अविचल छै।

नगरक तँ सभ-किछु चंचल छै
सभ छलछल छै, बस हलचल छै
साधन पाबि नगर उछलल छै
गाम साधना-बल निरमल छै
एतय कमल जल, बस दलदल छै
ओतय सरोवर कमल भरल छै
तयँ तँ एखनो गाम अचल छै
जेँ कि आँखिमे पानि बचल छै।।

Detailsविवरण

Typeप्रकार
Poemकविता
Languageभाषा
Maithiliमैथिली
Lengthलम्बाइ
1 page1 पृष्ठ
Formatरूप
PDF, 34 KBपीडीएफ, 34 KB
Costमूल्य
Freeनिःशुल्क
Rightsअधिकार
© Dr. Bhimnath Jha and family. Free to read and download; please credit the author when quoting.© डॉ. भीमनाथ झा आ परिवार। पढ़बा आ डाउनलोड करबाक लेल निःशुल्क; उद्धरण दैत काल लेखकक नाम दिअ।
↑